Tuesday, February 17, 2009

जयकांत मिश्रक जायब

जयकांत मिश्र (19.11.1922 - 03.02.2009) केर पर्याय मात्र जयकांत मिश्र भ सकैत छथि ।  मूलतः मधुबनी जिलाक गजहरा गामक निवासी महोपाध्याय उमेश मिश्रक एहि जेठ बालकक जन्म काशी(बनारस) मे भेल छलन्हि । कर्मभूमि प्रयाग (इलाहबाद) छलन्हि आ इलाहाबाद विश्वविद्यालय मे प्रोफेसर अंग्रेजीक छलाह ।  तथापि मैथिली आ मिथिलाक लेल हुनकर अनुराग आ अनवरत संघर्ष सदति आदर्श रहत । मैथिली भाषा आ मैथिलक उत्थान लेल कएल गेल हुनक प्रयत्न अनुकरणीय छन्हि । मैथिली साहित्यक इतिहास पर कयल गेल जयकांत बाबूक काज एकटा आवश्यक महत्वपूर्ण दस्तावेज थिक । नव पीढी में अपन भाषा, साहित्य आ  मातृभूमि लेल अनुराग, सम्मान आ गौरवक भावक संगहि सार्थक प्रयत्न आ जरूरी संघर्ष करवाक माद्दा भरल रहय तखने एहेन विभूतिक ह्रदय जुडा सकत ।

2 comments:

  1. jaykant jee ker kaj ke tatka peerhi dwara aaga barhebak jarurati achhi!

    ReplyDelete
  2. Bahut dukhad samachar achhi......................hunak BRIHAT MAITHILI SHABDAKOSH purna prakashit bhelanhi ki nahi ?

    ReplyDelete

अपनेक प्रतिक्रियाक स्वागत अछि !