Tuesday, February 17, 2009

मैथिली युवा लेखन पर संगोष्ठी आ मैथिली मंडन ब्लागक शुरूआत

आइ दिनांक 16.02.2009 केँ 'मैथिली युवा लेखन दशा आ दिशा' विषय पर शहीद भगत सिंह कॉलेज, दिल्ली में एक टा संगोष्ठीक आयोजन कयल गेल। एहि अवसर पर देशक विभिन्न भाग सँ आयल टटका पीढीक भागीदारी रहल। एहि संगोष्ठी मे भाग लेवय लेल बनारस सँ आयल 'नवतुरिया' केर संपादक अरुणाभ, कटिहार (बिहार) सँ रोहित झा, दिल्ली सँ अलोक रंजन, मिथिलेश कुमार राय, फिरदौस, धर्मव्रत चौधरी, देवांशु वत्स, सेतु कुमार वर्मा आदि आयल छलाह। ऑडियो कांफ्रेंसिंगक जरिये गाजियाबाद से मैथिली आ हिंदीक प्रख्यात कथाकार - संपादक अनलकांत ( गौरीनाथ ) आ सहरसा सँ चर्चित युवा कथाकार अखिल आनंद सभा सँ जुड़लैथ। संगोष्ठीक संचालन कुमार सौरभ केलनि। एहि अवसर केँ 'मैथिली मंडन' ब्लॉग शुरू करवाक लेल प्रेरणाक क्षण मानल जा सकैत अछि। मैथिल युवाक एकटा टीम एहि ब्लॉगक संचालन करत। अपने सबहक प्रतिक्रियाक प्रतीक्षा रहत। 

1 comment:

  1. asha achhi maithilik tatka peerhi maithilik samriddhik lel prayasrat rahta!

    ReplyDelete

अपनेक प्रतिक्रियाक स्वागत अछि !