Saturday, April 4, 2015

केओ घुरा दय हमर बितलाहा पल : मन मोहन झा

भाइ साहेब क सम्बोधन हुनका सबसँ पहिने उपेन्द्र दोषी जी सँ भेटल छलन्हि ई बात स्वयं राज मोहन झा अनलकांत (गौरीनाथ) के देल गेल एकटा इंटरव्यू मे बजने छथि । बाद मे हुनका लेल यैह सम्बोधन सबजना भ गेल । जाहि इंटरव्यूक उल्लेख भेल अछि ओ अंतिका केर राज मोहन झा पर केन्द्रित जुलाइ-सितम्बर, 2001 अंक मे प्रकाशित भेल छल । व्यक्ति आ लेखक राज मोहन झा केँ बूझवा लेल ई अंक बड्ड काजक अछि । एहि अंक मे कतेको महत्वपूर्ण आलेख सब अछि । राजमोहन झा (गोपाल जी) क सबसँ छोट भाइ मन मोहन झा (भुवन जी) क लिखल एकटा आत्मीय संस्मरण सेहो एहि अंक मे प्रकाशित अछि । एहि संस्मरणक माध्यमे परिवारक एकटा सदस्यक रूप मे राज मोहन झा केँ बूझवाक अवसर भेटैत अछि । एहि आलेख केँ एतय प्रयोजनीय बूझि प्रस्तुत कयल जा रहल अछि । 'अंतिका' क सम्बंधित पृष्ठक छायाप्रति जेपीईजी फार्मेट मे उपलब्ध कराओल जा रहल अछि । आर बेसी स्पष्ट पढ़वा लेल कृपया डॉनलोड करी ।







ःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःः
पत्नी आशा झा क संग राजमोहन झा-1958
अंतिका क विमोचन करैत राज मोहन झा संग मे गौरीनाथ, अरुण प्रकाश आ भीमनाथ झा-1999
ःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःःः



साभार- अंतिका, जुलाई -सितम्बर-2001 : संपादक- अनलकांत (गौरीनाथ) : नंदिनी, 153 बी पाकेट-ई, दिलशाद गार्डन, दिल्ली-95


[ स्पष्टिकरण : मैथिली मंडन पर एहि तरहक कोनो सामग्री मैथिली पाठक आ शोधार्थी धरि प्रयोजनीय सामग्री केँ पहुँचेवाक उद्देश्य सँ प्रस्तुत कयल जाइत अछि । एकर पाछू किनको व्यवसायिक अहित करवाक भावना नहि होइत अछि । संभव भेला पर सम्बंधित पक्ष सँ अनुमति लेवाक अथवा सम्बंधित पक्ष केँ सूचना देवाक चेष्टा कयल जाइत छैक । कैक बेर एकर जरूरति नहि बुझेला पर अथवा सम्पर्क सम्भव नहि भेलाक बावज़ूदो संदर्भ स्रोत केर साभार उल्लेख कयल जाइत छैक । मैथिली मंडन केँ किनको द्वारा एहि ब्लॉग पर उपलब्ध कोनो सामग्री केर एहि पद्धति सँ एहने उपयोग करवा मे कोनो आपत्ति नहि अछि । मैथिली-मंडनक अपन सम्पूर्ण प्रस्तुति केँ दुर्भावनारहित राखवा लेल कृतसंकल्प अछि । तथापि सम्बद्ध पक्ष केँ जँ कोनो तरहक आपत्ति होइन त ब्लॉग पोस्ट पर अपन प्रतिक्रिया मे अथवा जी-मेल पता maithilimandan@gmail.com पर अपन आपत्ति दर्ज करा सकैत छथि । यथाशीघ्र हुनक  आपत्तिक निपटारा मैथिली मंडनक प्राथमिकता होयत । ]

No comments:

Post a Comment

अपनेक प्रतिक्रियाक स्वागत अछि !