Showing posts with label परिचायिका : भीमनाथ झा. Show all posts
Showing posts with label परिचायिका : भीमनाथ झा. Show all posts

Saturday, December 16, 2017

परिचायिका / लोचन : भीमनाथ झा

इंटरनेट पर मैथिली साहित्कार सबहक जीवन आ कृतित्व पर विवरणात्मक लेख प्रायः अनुपलब्ध अछि। पाठक, शोधार्थी आ विद्यार्थी सबहक लेल ई स्थिति बहुत असुविधाजनक अछि । भीमनाथ झाक कृति 'परिचायिका' एहि दिसा मे नीक मदति क' सकैत अछि। 'मैथिली मंडन' समय समय पर हुनक एहि कृति सँ साहित्यकार लोकनिक परिचय प्रस्तुत करबाक प्रयास करत। एकरा ‘परिचायिका’ श्रृंखलाक अन्तर्गत प्रस्तुत कएल जायत।
ध्यान राखी जे 'परिचायिका' मूलतः सूचनात्मक लेख सबहक संकलन थिक। इहो ध्यान राखी जे एकर तथ्यक संगहि दृष्टिकोण केँ अंतिम नहि मानल जा सकैछ। अपन मत सुनिश्चित करबा लेल आनो स्रोत सबहक मदति लेबाक चाही। 'मैथिली मंडन' पर कयल जा रहल प्रस्तुति त्रुटिहीन होइ, एहि बातक ध्यान राखल जाइत छैक, मुदा प्रामाणिक आ त्रुटिहीन संदर्भक रूपमे मूल किताबेक उपयोग कएल जेबाक चाही। 
एहि किताबसँ कोनो सामग्री केँ प्रस्तुत करैत 'मैथिली मंडन'क एहि सँ सहमत भेनय अनिवार्य नहि  अछि। एकर प्रस्तुति क पाछाँ विशुद्ध रूपें अकादमिक खगता केँ पूरा करबाक भावना अछि। एहि मे अपन व्यावसायिक हित साधब वा किनको व्यावसायिक अहित करबाक कोनो दुर्भावना निहित नहि अछि । एहि प्रस्तुतिक लेल लेखकसँ अनुमति लेल गेल छैक, तथापि कोनो सम्बद्ध पक्षकेँ जँ कोनो तरह तरहक आपत्ति होइन्ह, तँ ओकर निपटारा 'मैथिली मंडन'क प्राथमिकता होयत।
एतय  'परिचायिका'  सँ लोचन आ हुनक कृतित्व पर केन्द्रित आलेख अक्षरशः प्रस्तुत कएल जा रहल अछि।
लोचन
[LOCHAN]
[पृष्ठ-23]
लोचन, जनिक पूरा नाम लोचन झा छलनि, मैथिली साहित्यमे प्रसिद्ध छथि अपन एक मात्र कृति ‘रागतरंगिणी’ ल’क’ । ‘रागतरंगिणी’ संगीत शास्त्रक पोथी थिक, जाहिमे राग-ताल आदिक ज्ञान कराओल गेल अछि, किन्तु एकर विशेष महत्व एहि ल’क’ भ’ जाइत अछि जे विद्यापति समेत संकलयिताक पूर्ववर्ती कविलोकनिक मैथिली पदक संकलन एहिमे कयल गेल अछि तथा स्वयं लोचनोक आठ गोट गीत अछि, जे हुनक काव्य-प्रतिभाक दिग्दर्शन करबैत अछि ।
एहि पोथीक आधार पर लोचनक प्रसंग निम्नांकित तथ्य ज्ञात होइत अछि ।
एहि ग्रन्थमे महाराज महेश ठाकुरसँ ल’क’ नरपति ठाकुर धरिक प्रशस्ति-श्लोक अछि । अतः ई नरपति  ठाकुरक समकालीन सिद्ध होइत छथि । चन्दा झा स्वयं लोचन द्वारा तैयार कयल गेल रागतरंगणीक दू गोट प्रतिलिपि देखने छलाह । पहिने जे देखने छलाह, ताहिसँ सिद्ध होइछ जे ओ 1702 ई.क थिक । बादमे जे पाण्डुलिपि ओ देखने छलाह, ताहिसँ सिद्ध होइछ जो ओ 1607 शाके (1685ई.)क लिखल छल । अनुमानतः रागतरंगिणीक रचनाकाल यैह थिक । डॉ. ‘श्रीश’ हिनक समय 1625-85 मानैत छथि ।
ई संगीत शास्त्रक प्रकाण्ड पण्डित छलाह, तेँ ने एहि शास्त्रक ग्रन्थक निर्माण कयलनि ।
ई अनुसन्धाता सेहो अवश्य छल होयताह, नहितँ विद्यापतिसँ ल’क’ अनेक कविक जे पद एहिमे भेटैत अछि, से नहि भेटैत । संगीत-मर्मज्ञक संग काव्य-मर्मज्ञ सेहो ई छलाह, तकर प्रमाण थिक पदक शुद्धता ।
ई स्वयं निष्णात कवि छलाह । हिनक आठ गोट पद जे एहिमे संगृहीत अछि, से हिनक विशिष्ट कवित्व प्रतिभाक निदर्शन करबैत अछि ।
हिनक महत्ताक प्रमाण ईहो थिक जे विद्यापति-गोविन्ददास जकाँ हिनको बंगाली विद्वान अपन कवि सिद्ध करबाक प्रयास कयलनि । हिनक मैथिलत्व आब निर्विवाद प्रमाणित भ’ चुकल अछि ।
रागतरंगिणी- एकर अद्यावधि पाँच संस्करण प्रकाशित भेल अछि । पहिल- बी.एस. सुखथंकर द्वारा बंबैसँ 1910 ई. मे, दोसर- दत्तात्रेय केशव जोशी द्वारा पूनासँ 1918 ई. मे, तेसर- दरभंगा राजप्रेस द्वारा बलदेव मिश्रक संपादन मे 1934 ई. मे, चारिम- पटना विश्वविद्यालयक मैथिली विकास-कोष द्वारा डॉ. शशिनाथ झाक संपाजनमे 1981 ई. मे । पहिल दू संस्करणमे मैथिली पद नहि देल गेल अछि ।
‘रामलोचनशरण-जयन्ती-स्मारक-ग्रन्थ’मे उल्लिखित अछिजे मिथिलेश महिनाथ ठाकुरक अनुज उत्तम कुमार नरपति ठाकुरक आज्ञासँ लोचन द्वारा संगीत-विषयक ग्रन्थ रागतरंगिणी लिखल गेल ।
[पृष्ठ-24]
रागतरंगिणीमे कुल एक सय तीन टा गीत संकलित अछि, जाहिमे उनतीस गोट कविक अनठानबे टा गीत अछि, शेष पाँच गीतक कवि अज्ञात छथि । ओ उनतीसो कवि थिकाह- विद्यापति, भवानीनाथ, अमृतकर, गजसिंह, सिंहभूपति, चन्द्रकला, कंसनारायन, गोविन्दकवि, लक्षमीनरायेन, जसोधर, जीवनाथ, दस-अवधान, सदानन्द, भीषम, चतुर्भुज, श्यामसुंदर, हरिदास, गंगाधर, श्रीनिवास मल्ल, पूरनमल्ल, प्रीतिनाथ नृप, चतुरानन, कुमुदी, रतनाञी, लखनचन्द राय, जयकृष्ण, धरणीधर, मधुसूदन तथा लोचन ।
रागतरंगिणीमे पाँच तरंग अछि । पहिलमे पुरुषराग-स्वरुप –कथन, दोसरमे रागिनी-स्वरूप-कथन, तेसरमे उत्पत्ति ओ नाद-निरूपण एवं तिरहुत देशमे विख्यात राग, चारिममे तिरहुति-देशीय संकीर्ण-राग-विवरण, तथा पाँचममे स्वर-प्रकरण, वीणा वाद्यक विषय ओ श्रुति-विभाग आदि वर्णित अछि ।
रागतरंगिणीमे तीन भाषाक प्रयोग भेल अछि- संस्कृत, ब्रजभाषा तथा मैथिली । एकर मुख्य भाषा संस्कृत अछि, जे सम्पूर्ण ग्रंथमे व्याप्त अछि । ब्रजभाषाक प्रयोग सेहो व्यापक रूपमे भेल अछि । हिनक समयमे संस्कृत जनसामान्यक भाषा रहि नहि गेल छल आ ई अपन ग्रन्थक प्रचार वृहत्तर क्षेत्रमे कर’ चाहैत छलाह, तेँ ओहि समयक सर्वाधिक प्रसरित ब्रजभाषाक स्थान देलनि । किन्तु ई छलाह मैथिल आ मैथिली हिनक प्रिय मातृभाषा छल, तेँ रागक उदाहरणक रूपमे जतेक गीत देलनि, सभ मैथिलीमे । मैथिलीक प्रयोग केवल तेसर आ चारिम तरंगमे अछि । मैथिलीकेँ लोचन ‘मिथिला’पभ्रंशभाषा’ कहलनि अछि ।
एहि ग्रन्थक महत्वक प्रसंग डॉ. जयकान्त मिश्रक निम्नलिखित उक्ति विषेषतः द्रष्टव्य थिक-  “It is enough to note that while this work (Ragatarangini) is valuable in preserving the works of many otherwise little or unknown poets and in helping to determine their dates, it is an undying record of widespread poetical activity of the day. This work is also an evidence of the greatness of Lochan’s musical scholarship”
लोचनक कवित्व प्रतिभाक निदर्शनक लेले बानगीक रूपमे हिनक एक शृंगार पद द्रष्टव्य- 

मलिन  वसन  विसमादलि  रे देखलि धनि खीनि
नयन - नीरें  परिपूरलि  रे  चित  चिन्ता -  लीनि
पास   बइसि  कत  पूछलि  रे  सत भाँति  बुझाए
तइयो   रहलि  तेहि भाँतहि  रे मरमसि शिर नाए
सुमुखि  न  सुख न सँभाषण  रे मुख नहि परगास
अनुखने  खिन  सोहागिनि  रे  तेज  दीप निसास
कमल  वदनि  मन  मानिक  रे  हरि  ऐसनि जाति
लोचन  भन   मन  जानक  रे मधुमति  देवि  कन्त
बुझ   महिनाथ  महीपति  रे   विरहिन   मन-मन्त
__________

प्रकाशक : भवानी प्रकाशन, मुसल्लहपुर, पटना-800006
सर्वाधिकार : भीमनाथ झा
परिवर्धित द्वितीय संस्करण : 1985
मुद्रक : मुरलीधर प्रेस, पटना-800006

परिचायिका / मनबोध : भीमनाथ झा

इंटरनेट पर मैथिली साहित्कार सबहक जीवन आ कृतित्व पर विवरणात्मक लेख प्रायः अनुपलब्ध अछि। पाठक, शोधार्थी आ विद्यार्थी सबहक लेल ई स्थिति बहुत असुविधाजनक अछि । भीमनाथ झाक कृति 'परिचायिका' एहि दिसा मे नीक मदति क' सकैत अछि। 'मैथिली मंडन' समय समय पर हुनक एहि कृति सँ साहित्यकार लोकनिक परिचय प्रस्तुत करबाक प्रयास करत। एकरा ‘परिचायिका’ श्रृंखलाक अन्तर्गत प्रस्तुत कएल जायत।
ध्यान राखी जे 'परिचायिका' मूलतः सूचनात्मक लेख सबहक संकलन थिक। इहो ध्यान राखी जे एकर तथ्यक संगहि दृष्टिकोण केँ अंतिम नहि मानल जा सकैछ। अपन मत सुनिश्चित करबा लेल आनो स्रोत सबहक मदति लेबाक चाही। 'मैथिली मंडन' पर कयल जा रहल प्रस्तुति त्रुटिहीन होइ, एहि बातक ध्यान राखल जाइत छैक, मुदा प्रामाणिक आ त्रुटिहीन संदर्भक रूपमे मूल किताबेक उपयोग कएल जेबाक चाही। 
एहि किताबसँ कोनो सामग्री केँ प्रस्तुत करैत 'मैथिली मंडन'क एहि सँ सहमत भेनय अनिवार्य नहि  अछि। एकर प्रस्तुति क पाछाँ विशुद्ध रूपें अकादमिक खगता केँ पूरा करबाक भावना अछि। एहि मे अपन व्यावसायिक हित साधब वा किनको व्यावसायिक अहित करबाक कोनो दुर्भावना निहित नहि अछि । एहि प्रस्तुतिक लेल लेखकसँ अनुमति लेल गेल छैक, तथापि कोनो सम्बद्ध पक्षकेँ जँ कोनो तरह तरहक आपत्ति होइन्ह, तँ ओकर निपटारा 'मैथिली मंडन'क प्राथमिकता होयत।
एतय  'परिचायिका'  सँ मनबोध आ हुनक कृतित्व पर केन्द्रित आलेख अक्षरशः प्रस्तुत कएल जा रहल अछि।
मनबोध
 [MANBODH]
[पृष्ठ-20]
मनबोधक स्थान मैथिली साहित्यमे महत्वपूर्ण अछि, तकर कारण जे ई विद्यापतिक परम्पराकेँ भंग क, शृंगार-प्रधान गीतक विपरीत, कथाकाव्यक माध्यमे मैथिलीक भण्डारकेँ भरलनि । शिल्पक स्तरपर, भावक स्तरपर, तथा वर्णन-चमत्कारक स्तर पर हिनक कविताक प्रयोग सफल सिद्ध भेल अछि । हिनक प्रसिद्ध रचना ‘कृष्णजन्म’ अछि, जाहि आधार पर मध्ययुगीन कविमे हिनक  स्थान अग्रगण्य अछि ।
जहिना विद्यापतिक पद लोक-कंठमे अपन स्थान बना अमर भ’ गेल, तहिना ‘कृष्णजन्म’ क चौपाइ सभ सेहो स्त्रीगण-पुरुषक कण्ठमे बैसि अपन कविकेँ अमर क’ देलक । विद्यापतिक पश्चात सर्वसाधारणक बीच जतेक लोकप्रिय मनबोध भेलाह, ततेक हिनक पूर्ववर्ती आन कोनो कवि नहि भ’ सकलाह । आइयो गाम-घरक बूढ़-पुरान स्त्रीगण-पुरुषक जीहपर कृष्णजन्मक अनेक चौपाइ विराजमान अछि ।
एतेक लोकप्रिय रहितो, हिनक परिचय ओ समय सुनिश्चित नहि अछि । हिनको प्रसंग विद्वानलोकनिमे मतबैभिन्य देखल जाइछ ।
म.म. डा. उमेश मिश्र हिनक परिचयक सम्बंधमे दू गोट विवरण देलनि अछि ।
1. ई मंगरौनीक रहनिहार छलाह । ई पलिबार जमदौली मूलक योग्यवंशक सोनमणि झाक, जे पैघ ज्यौतिषी रहथि, बालक छलाह ।
2. दोसर मतक अनुसार पगुलबाड़ बड़िआम मूलक जमसम-निवासी चान झाक ई बालक छलाह आ हिनक नामान्तर भेल छलनि । पंजीमे ‘भाषाकवि भोलन’क उल्लेख भेटैत अछि ।
प्रो. रमानाथ झाक अनुसार मनबोध नरौने मलिछाम मूलक जटेश झाक बालक छलाह । ग्रियर्सन साहेबक मतेँ हिनक निधन 1788 ई. मे भेलनि । अतः हिनका अठारहम शताब्दीक मानल गेल अछि ।
प्रो. सुरेन्द्र झा ‘सुमन’क शब्दमे “कवि मनबोध पलिबाड़ मूलक ज्योतिर्विद सोनमणि झाक बालक छलाह । महाराज नरेन्द्र सिंहक समकालीन, अठारहम शताब्दीक पूर्व भाग हिनक समय मानल जाइछ ।”
‘कृष्णजन्म’ क अतिरिक्त हिनक एक आओर पोथी ‘दानलीला’क उल्लेख भेटैत अछि, किन्तु ई पोथी अद्यावधि अनुपलब्ध अछि । कहल जाइछ जे ई शृंगार रसक काव्य छल ।
कृष्णजन्म - ‘कृष्णजन्म’ एक आख्यान-काव्य थिक जकर कथानक गोकुल-मथुरा-द्वारकाक परिधिमे घुमैत कृष्ण जन्म, तखन कंसक वध आ तकर बाद जरासंघक संहार धरि सीमित अछि । स्मपूर्ण ग्रंथ के छन्द चौपाइमे रचित अछि । एकर कथा भागवत ओ हरिवंश पुराणसँ लेल गेल अछि । एहिपर हरिवंशक छाप -
[पृष्ठ-21]
 - ततेक गाढ़ अछि जे कतोक विद्वान एकर मौलिकतेपर संदेह व्यक्त क’ देलनि । किन्तु, पद ततेक रमनगर अछि, कथा ततेक छटासँ कहल गेल अछि जे ई सर्वथा मौलिकक स्वाद दैत अछि ।
उपलब्ध ‘कृष्णजन्म’ मे अठारह अध्याय अछि, मुदा पढ़ला उत्तर स्पष्ट होइत अछि जे दस अध्यायक बाद ओ छटा, ओ चमत्कारक अभाव अछि जाहि हेतु मनबोध प्रसिद्ध छथि । तेँ, ई संदेह कयल जाइछ जे एगारहसँ अठारह अध्यायक अंश, मनबोधक नामपर, कोनो आन कविक जोड़ल अछि ।
एकर रचना महाकाव्यक रूपमे नहि भ’क’ पौराणिक कथाक रूपेँ भेल अछि । महाकाव्यमे सर्ग होइत अछि, किन्तु कृष्णजन्ममे अध्याय अछि । तहुँ एकरा महाकाव्य कहब समीचीन नहि । एहिमे ‘काव्यकलाक अलंकार-चमत्कार नहि, लोकजीवनक सहज संस्कार अछि ।’ तेँ एकरा पौराणिक कथकाव्य कहब अधिक समीचीन होयत ।
मनबोधकेँ भाषाकवि कहल जाइत छनि । कृष्णजन्ममे जे भाषा प्रयुक्त भेल अछि तकरा निस्सन्देह लोकभाषा कहल जा सकैछ । “तत्कालीन साहित्यिक संस्कृत एवं अवहट्ट, जे संयुक्ताक्षरक प्रयोगक कारणेँ, कर्णपटु प्रतीत होमय लागल छल से घसि कय, कोमल उच्चारणसँ मजि-चिकनाकय, लोककंठक अनुकूल बनि गेल अछि । यथा कुमारी-कुम्मरि-कूमरि, हस्ती-हत्थी-हाथी, अर्जुन-अज्जुन-अरजुन, दुग्ध-दुद्ध-दुध, कार्य-कज्ज-काज, दर्व-दप्प-दाप आदि । उदाहरणस्वरूप, तेसर अध्यायक ई प्रसिद्ध चौपाइ देखल जा सकैछ-
कतओक  दिवस जखन बिति गेल । हरि पुनु हथगर गोड़गर भेल ।
से  कोन  ठाम  जतय  धरि जाथि । कय  बेरि अंगनहुँसँ  बहराथि ।
द्वार  उपरसँ  धरि  धरि  आनी । हरखथि  हँसथि जसोमति रानी ।
कय  बेरि  आगि  हाथसँ  छीनु ।  कय  बेरि  पलका  तकला  बीनु ।
कय  बेर  साप  धरय  पुनि  जाथि । कय बेर चून दही बदि खाथि ।
कौसल चलथि मारिकहुँ चाल । जसोमतिकाँ भेल जिबक जंजाल ।

कृष्णजन्ममे तद्भव शब्दक प्रयोगक अतिरिक्त मिथिलाक लोककोक्ति ओ मोहाबराक प्रयोग सेहो पर्याप्त भेल अछि । यथा- लाजक लेल मुख हेरलो न होय, एहिसँ सुखद साप बरु खाय, जुड़ायल कान, विधाता बंक, सब दुख जिव पनिछाय, आदि । ‘बाभन पोथी छत्री तीर’ ‘नेरु हरेयने जेहने धेनु गाय’ आदि कहबी सम्पूर्ण काव्यग्रन्थमे जीवन्तता आनि देने अछि । तत्कालीन चिन्तनकेँ कतहु व्यंग्यसँ तँ कतहु तीक्ष्ण कटाक्षसँ एहिमे उभारल गेल अछि ।
यैह कारण थिक जे कृष्णजन्म मिथिलामे पर्याप्त लोकप्रिय भेल । विद्यापतिक पद जकाँ ईहो पोथी सकलसाधारणक जीह पर विराजमान भ’ गेल । एहि लोकप्रियताक जड़िमे अछि कृष्ण सन लोकप्रिय चरितक बाल्यकालक वर्णन जे वात्सल्यसँ ओतप्रोत अछि, तथा सहज-सरल भाषाक प्रयोग एवं मिथिलाक सामाजिक-धार्मिक संस्कारक सफल चित्रण । भाषाक सहजताक निर्वाह करितो कवि एहिमे अलंकारक पर्याप्त प्रयोग कयलनि अछि । अन्यो काव्यगुणसँ ई कृति परिपूर्ण अछि ।
[पृष्ठ-22]
मैथिली साहित्यमे वात्सल्य रसक वर्णनक अभाव अछि । वर्तमानो काल मे कम कवि भेलाह अछि जे वात्सल्य रसक नीक जकाँ परिपाक क’ सकलाह अछि । तेहना स्थितिमे, मनबोधक महत्त्व आओरो बढ़ि जाइछ । मैथिलीमे तँ प्रायः मनबोधेसँ एहि रसक धारा आरम्भ होइत अछि । नेनाक लालन-पालन करब, ओकर चंचलताकेँ भोगब, ओहिसँ आनन्द उठायब, ओकरा उच्छृंखल बनवासँ रोकब, अपन एक-एकटा व्यवहारसँ ओकर चरित्र-निर्माण करब, नीकक शिक्षा देब, अधलाहसँ परहेज करब सिखायब, ओकर मोन पर कोनो तीव्र दबाव नहि देब- ई सभ तेहन तत्व अछि जे बालकक भविष्यक निर्माणमे सहायक होइत अछि । काव्य मे एकरा उतारब आ पुनि तकरा लोकप्रिय बनायब- कविक आसाधारण सामर्थ्यक काज थिक । एहू दृष्टिएँ मनबोधक काव्य-दृष्टि बाल-मनोविज्ञानक सूक्ष्मसँ सूक्ष्म विन्दु धरि प्रवेश क’ गेलनि अछि ।
कृष्णक बाल-स्वभावकवर्णन करैत काल कवि कथाक सूत्रकेँ छोड़ैत नहि छथि तथा लगले-लागल कृष्णक ईश्वरत्वक भान पाठककेँ करा दैत छथि । कवि सावधान रहैत छथि जे पाठक वर्णनक रसानुभूति करैत एतेक दूर धरि नहि चलि जाय जे ओकरा मूल कथे विस्मृत भ’ जाइक । तेँ अमलार्जुनउद्धारक प्रकरण कृष्णक बाल-लीलाक बीचमे कवि राखि देलनि अछि-
भेलहि निसंक समय हरि पाओल
भरि-भरि पाँज उखरि ओंघरायल
गुड़कल –गुड़कल भिड़ुकल जाय
जतय  अछल  दुइ  बिर्छ  अकाय
जमला    अर्जुन   कमला    नाथ
जुगति  उपाड़ल  छुइल  न  हाथ
खसल   महातरु   हँसल   मुरारि
भेल    अघात   जगत   परिचारि

कृष्णजन्मक भाषाक प्रसंग डा. ग्रियर्सन कहने छथि- “The poem is deserving of special attention as an example of the Maithili of the last century affording a connecting link between the old Maithili of Vidyapati and the modern Maithili of Harsnath Jha and the other writers of present day.”   
एकर समर्थनमे प्रो. सुमनक एहि उक्तिकेँ देखल जा सकैछ- “कविक काव्य-प्रबन्ध पूर्वरंगक संगीतकक इंगितपर नहि, छन्दबन्धक उन्मुक्त वातावरणमे विकसित लक्षित होइछ । एहि दृष्टिएँ आधुनिक मैथिलीपर जतेक प्रभाव ज्योतिरीश्वर विदयापतिक नहि, गोविन्ददास-रामदासक नहि. उमापति-नन्दीपतिक नहि, ततेक मनबोधक पड़ल अछि ।”
तेँ डा. जयकान्त मिश्रक ई मान्यता जे- “In the history of Maithili literature Manbodha occupies a very important place” अक्षरशः सत्य अछि ।
__________
प्रकाशक : भवानी प्रकाशन, मुसल्लहपुर, पटना-800006
सर्वाधिकार : भीमनाथ झा
परिवर्धित द्वितीय संस्करण : 1985
मुद्रक : मुरलीधर प्रेस, पटना-800006

Wednesday, June 1, 2016

परिचायिका / उमापति : भीमनाथ झा

 इंटरनेट पर मैथिली साहित्कार सबहक जीवन आ कृतित्व पर विवरणात्मक लेख प्रायः अनुपलब्ध अछि। पाठक, शोधार्थी आ विद्यार्थी सबहक लेल ई स्थिति बहुत असुविधाजनक अछि । भीमनाथ झाक कृति 'परिचायिका' एहि दिसा मे नीक मदति क' सकैत अछि। 'मैथिली मंडन' समय समय पर हुनक एहि कृति सँ साहित्यकार लोकनिक परिचय प्रस्तुत करबाक प्रयास करत। एकरा ‘परिचायिका’ श्रृंखलाक अन्तर्गत प्रस्तुत कएल जायत। 
ध्यान राखी जे 'परिचायिका' मूलतः सूचनात्मक लेख सबहक संकलन थिक। इहो ध्यान राखी जे एकर तथ्यक संगहि दृष्टिकोण केँ अंतिम नहि मानल जा सकैछ। अपन मत सुनिश्चित करबा लेल आनो स्रोत सबहक मदति लेबाक चाही। 'मैथिली मंडन' पर कयल जा रहल प्रस्तुति त्रुटिहीन होइ, एहि बातक ध्यान राखल जाइत छैक, मुदा प्रामाणिक आ त्रुटिहीन संदर्भक रूपमे मूल किताबेक उपयोग कएल जेबाक चाही।  
एहि किताबसँ कोनो सामग्री केँ प्रस्तुत करैत 'मैथिली मंडन'क एहि सँ सहमत भेनय अनिवार्य नहि  अछि। एकर प्रस्तुति क पाछाँ विशुद्ध रूपें अकादमिक खगता केँ पूरा करबाक भावना अछि। एहि मे अपन व्यावसायिक हित साधब वा किनको व्यावसायिक अहित करबाक कोनो दुर्भावना निहित नहि अछि । एहि प्रस्तुतिक लेल लेखकसँ अनुमति लेल गेल छैक, तथापि कोनो सम्बद्ध पक्षकेँ जँ कोनो तरह तरहक आपत्ति होइन्ह, तँ ओकर निपटारा 'मैथिली मंडन'क प्राथमिकता होयत। 
एतय  'परिचायिका'  सँ उमापति उपाध्याय आ हुनक कृतित्व पर केन्द्रित आलेख अक्षरशः प्रस्तुत कएल जा रहल अछि।

उमापति
[UMAPATI]
[पृष्ठ-17]

उमापति उपाध्याय मैथिली साहित्यमे कविसँ बेसी नाटककारक रूपमे विख्यात छथि । हिनक दू गोट उपाधि प्रसिद्ध अछि- ‘कविपण्डितमुख्य’ आओर ‘सुमति’ । प्रथम उपाधिसँ ई द्योतित होइछ जे ई कवि आ पण्डितमे मुख्य छलाह, अर्थात अग्रगण्य कवियो छलाह, मान्य विद्वानो । दोसर उपाधि हिनक शिष्टता, सौजन्य आ सामाजिक मान्यताक परिचायक छल । ई कोइलख (मधुवनी) गामक निवासी छलाह ।
          हिनक कविताक पोथी कोनो उपलब्ध नहि अछि । उपलब्ध अछि एकमात्र कृति, से थिक नाटक, जकरा कीर्तनिया नाटक कहल जाइछ, नाम थिक ओकर ‘पारिजात-हरण’ । पारिजात-हरणक गद्य-पद्य संस्कृत आ प्राकृतमे अछि, बीच-बीचमे गीत अछि मैथिलीमे, जकर संख्या एकैस अछि ।
       अन्य प्राचीन कवि जकाँ हिनको समय विवादास्पद रहल । एखनहुँ धरि विभिन्न विद्वान लोकनिक बीच एक्यमत्य नहि भेल अछि ।एखनहुँ धरि विभिन्न विद्वान लोकनिक बीच एक्यमत्य नहि भेल अछि । प्रो. सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ हिनक समयक प्रसंग प्रचलित विभिन्न मतकेँ सूत्रबद्ध करैत ‘पारिजातहरण’क भूमिकामे लिखैत छथि – “डॉ. ग्रियर्सन मिथिलेश-हरिहरदेव दूहूक एकवाक्यता करैत कर्णाटवंशीय महाराज हरिसिंहदेव (1305-24)क आश्रयमे हिनक स्थिति मानैत छथि । पण्डित चेतनाथ झा अपन भूमिकामे नेपाल स्थित सप्तरी परगनाक अन्तर्गत मकमानीक हिन्दूपति (17म शताब्दी) अभिधानधारी एक माण्डलिक राजाक आश्रित पण्डित रूपमे उमापतिक परिचय दैत कहैत छथि जे- एतय मैथिल विद्वानकेँ प्रश्रय भेटैत छल ओ एही सप्तरीमे विद्यापति सेहो ‘लिखनावली’क रचना कयने छथि । बाबू भोलालालदास ‘यवनवनच्छेदन-कुठारकरवालेन, विष्णोर्दशमावतारेण हरिहरदेवेन’ आदि विशेषण-विशेष्यक सार्थकता विजयनगरम राज्यक संस्थापक हरिहरदेव-बुक्कदेव (14 श.)क संग कहैत हिन्दुपति-पदेँ हुनकहि आश्रयक संकेत दैत छथि । डॉ. जयकान्त मिश्रक मतेँ उक्त हिन्दूपति बुन्देलखण्डक नरेश महाराज छत्रसालक प्रपौत्र गढ़मण्डलक राजा हिन्दुपति (17 श.) छथि, जनिक राजगुरू उमापति उपाध्याय छलाह । केओ ‘हम अति बूढ़ नही मरखाहि’क किंवदन्तीक आधार पर गुरू गोकुलनाथक समयमे हिनक स्थिति मानैत महाराज राघवसिंह (1704-1740, अठाहरम शताब्दी)क समय स्थिर करैत छथि । एहि विवादास्पद प्रश्नक जटिलता तखन आरो बढ़ि जाइछ जखन ‘केटेगोरस केटेगोरप’ केर सूची निबंधक अनुसार उमापति नामक चौदह गोट कविक उल्लेख भेटैछ ।”
अपन मान्यताकेँ विभिन्न प्रमाणसँ पुष्ट करैत श्री ‘सुमन’ आगाँ कहैत छथि-
“पारिजात-हरणक किछु क्रियापद एवं नामपदसँ चौदहम शताब्दीक मैथिली अवहट्ट रचनाक साम्य भेटैछ । तखन की क्षति जे उमापतिकेँ हरिसिंहदेवक सभासदक मान्यता देल जाय ?”
          डॉ. रामदेव झाक अनुसार “सोलहम शताब्दीक तेसर चरण ओ सतरहम शताब्दीक प्रथम तीन चरणक मध्य-आगाँ-पाछाँ किछु वर्ष छोड़िक’- उमापतिक –
[पृष्ठ-18]
- जीवनकाल रहल होयतनि । कोनहु स्थितिमे उमापतिक जीवन-कालकेँ 1570 ई.सँ पूर्व ओ 1670 ई,क पश्चात नहि खीचल जा सकैत अछि । ओना दू चारि वर्षक अन्तर जे हो तँ से नगण्य थिक ।”
          पारिजात-हरण- ई उमापतिक एकमात्र उपलब्ध लघुकाय नाटक थिक, जाहिमे एकैस गोट मैथिली गीत, उनैस गोट संस्कृत-श्लोक तथा संवाद संस्कृत ओ प्राकृतमे अछि । मैथिली-गीत आ संस्कृत-श्लोक पाण्डित्यपूर्ण तँअछिए जे कविक विलक्षण सर्जनात्मक प्रतिभासँ मंडित सेहो अछि ।  एकर “कथानक हरिवंशपुराणक 124-35 अध्यायक आधार पर अछि, भागवत (10 स्कं. उत्त.) मे सेहो एहि अंशक कथासूत्र भेटैछ । पौराणिक घटनामे जत’ इन्द्रक संग प्रद्युम्न युद्धमे जाइत छथि तत’ नाटकमे कृष्णक संग अर्जुन दैत छथि ।” डॉ. जयकान्त मिश्र कीर्तनियाँ नाटक मध्य एकर बड़ महत्वपूर्ण स्थान देने छथि ।
          एकर कथावस्तु अत्यंत छोट अछि ।
          नारद स्वर्गसँ पारिजात नामक फूल आनि कृष्णकेँ उपहार दैत छथि । ओ रुक्मिणी केँ द’ दैत छथिन । एहिपर छोटकी महारानी सत्यभामा कुपित भ’ जाइत छथिन । हुनक प्रेमक वशीभूत श्रीकृष्ण स्वर्ग जाक’ इन्द्रसँ युद्ध क’, पारिजात वृक्षक क’ हरण क’ आनि सत्यभामाकेँ अर्पित करैत छथिन । बस कथानक एतबे टा अछि । सम्पूर्ण नाटकमे एकरे पल्लवित कयल गेल अछि ।
मोटामोटी पढ़ला उत्तर यद्यपि ई वीररस-प्रधान नाटक बुझना जाइछ, किन्तु कथानकक मूल भावना पर दृष्टिपात कयने स्पष्ट भ जाइछ जे ई श्रृंगाररस- प्रधान नाटक थिक ।
एहि नाटकक महत्व एकर मैथिली गीत ल’क’ विशेष अछि । उमापतिक गीत सूक्ष्म कल्पना ओ परिपक्व कवित्वक परिचायक थिक । द्रष्टव्य-
हरि सोँ प्रेम आस कय लाओल, पाओल परिभव ठामे
जलधर छाहरि तर हम सुतलहुँ, आतप भेल परिणामे
सखि हे!  मन जनु करिअ मलाने
अपन करम फल हम उपभोगव तोहें किअ तजह पराने
पुरूष पिरित रिति हुँनि जँओ बिसरब तइयो न हुनकर दोसे
कतेक जतन धरि जओ परिपालिओ साप न मानय पोसे
कबहु नेह पुनु नहि परगासबफल अपमाने
बेरि सहस्र दश अमिअ भिजविअ कोमल न होअ पखाने
गुरू उमापति हरि होएत परसन मन होएत अवसाने
सकल नृपति हिन्दूपति जिउ महारानि विरमाने
एहि गीतसभपर दृष्टिपात कयलासँ ज्ञात होइछ जे “उमापति काव्य भाव ओ भाषा दुहूमे पाण्डित्यपूर्ण अछि । रचनाशैलीमे विद्यापतिक अनुकरण रहितहुँ, विद्यापतिक भाषामे जे सरलता अछि, अथवा ओहिमे जे भावनाक उद्दाम प्रवाह अछि तकर निर्वाह उमापति नहि क’ सकलाह अछि ।” यैह कारण थिक जे विद्यापतिक पद जत’ सकल–सा धारणक जीहपर विराजमान अछि, तत’ उमापतिक पद पण्डितेक मण्डलीमे घुरियाक’ रहि गेल अछि ।
[पृष्ठ-19]
उमापतिक गीत भनहि जनसाधारणक बीच लोकप्रिय नहि रहओ, किन्तु विद्वान रसिक मण्डलीक बीच रसक बरिसाते आनि दैछ । विरहिणी नायिकाक वियोगव्यथाक एहन सूक्ष्म विश्लेषण साहित्यमे तकलहुँ भेटत वा नहि । सामान्य अवस्थामे जैह वस्तु उद्दीपनक साधन बनैछ, सैह सभ विरहिणीक लेल अरुचिकरे नहि अपितु प्राण-घातक भ’ गेल अछि । नायिकाक ओहन अवस्थाक कौशल-पूर्वक वर्णन क’ दूती नायकक सुपुरुषत्व केँ चुनौती दैछ ।
          कि कहब माधव तनिक विशेषे । अपनहुँ तन धनि पाव कलेशे ।
          अपनुक आनन आरसि हेरी । चानक भरम काँप कत बेरी ।
          भरमहु निय कर उरपर आनी । परसे तरस सरसीरूह जानी ।
          चिकुर-निकर निय नयन निहारी । जलधर जाल जानि हिय हारी ।
अपन वचन पिक-रव अनुमाने । हरि हरि तेहु परि तेजय पराने ।
माधव आबहु करिअ समधाने । सुपुरूष निठुर न रहए निदाने ।
सुमति उमापति भन परमाने । माहेसरी देइ हिन्दूपति जाने ।
तहिना नायिकाक मान-मोचन करबा लेल नायक उक्ति नारी-मनोविज्ञानक सूक्ष्म व्याख्या प्रस्तुत करैत अछि-
अरुण पुरुब दिस बहलि संगर निशि गगन मलिन भेल चन्दा
मुन्दि गेलि कुमुदिनि तइओ तोहर धनि मून्दल मुख-अरविन्दा
कमल वदन कुवलय दुहु लोचन अधर मधुरि निरमाने
सगर शरीर कुसुम तुअ सिरजल किए तुअ हृदय-पखाने
असकति कर कंकण नहि पहिरसि हृदय भार भेल भारे
गिरि सम गरूअ मान नहि मुंचसि अपरूप तुअ बेबहारे
अबगुन परिहरि हरषि हेरु धनि मानक अवधि विहाने
हिमगिरि-कूमरि चरण हृदय धरि सुमति उमापति भाने
परिजातहरणक गीतसभक विशेषता प्रो. सुमनक निम्नलिखित पंक्तिमे एक्के ठाम जगजियार भ’ गेल अछि- “प्रत्येक गीत प्रसंगोपात्त रहितहुँ रसोज्ज्वल मुक्तक गीत कहल जायत । रसविन्यासक संगहि गेयधर्मितासँ गीतसभ ओतप्रोत अछि, रसोपयुक्त राग-संगीतसँ युक्त अछि । वसन्तरागमे उद्यान एवं प्रेमवर्णन, मालव ओ विभासमे मान-विरह, आशावरीमे भक्ति-प्रार्थना, विरह-अभिनिवेशमे केदारराग सर्वथा रसोपयुक्त भेल अछि । एकर अतिरिक्त राजविजय, ललित, मल्हार, बड़ारी, नट, पंचम-एतबा राग प्रयोग एहिमे भेटैछ । एहिमे संगीतक संगहि नृत्यकलाकेँ सेहो उच्च स्थान देल गेल अछि ।...भाषाक दृष्टिएँ कवि-पण्डित उमापतिक रचना उत्यन्त परिमार्जित, अलंकृत, संगहि सरस सुबोध !”
पारिजातहरणक विशिष्च साहित्यक मूल्यक प्रसंग डॉ. जयकान्त मिश्रक ई कथन द्रष्टव्य- “It is one of the best Maithili plays of the ‘Regular’ type, It is remarkable for its literary merits and provides a very good entertainment. The poet is well-constructed events follow one another in a necessary connection”
          पारिजातहरणक अतिरिक्तो उमापतिक किछु मैथिली-पद प्राप्त अछि, सेहो काव्यकलाक दृष्टिएँ महत्वपूर्ण अछि ।

______________
प्रकाशक : भवानी प्रकाशन, मुसल्लहपुर, पटना-800006
सर्वाधिकार : भीमनाथ झा
परिवर्धित द्वितीय संस्करण : 1985
मुद्रक : मुरलीधर प्रेस, पटना-800006

Tuesday, May 24, 2016

परिचायिका / गोविन्ददास : भीमनाथ झा

इंटरनेट पर मैथिली साहित्कार सबहक जीवन आ कृतित्व पर विवरणात्मक लेख प्रायः अनुपलब्ध अछि। पाठक, शोधार्थी आ विद्यार्थी सबहक लेल ई स्थिति बहुत असुविधाजनक अछि । भीमनाथ झाक कृति 'परिचायिका' एहि दिसा मे नीक मदति क' सकैत अछि। 'मैथिली मंडन' समय समय पर हुनक एहि कृति सँ साहित्यकार लोकनिक परिचय प्रस्तुत करबाक प्रयास करत। एकरा ‘परिचायिका’ श्रृंखलाक अन्तर्गत प्रस्तुत कएल जायत।
ध्यान राखी जे 'परिचायिका' मूलतः सूचनात्मक लेख सबहक संकलन थिक। इहो ध्यान राखी जे एकर तथ्यक संगहि दृष्टिकोण केँ अंतिम नहि मानल जा सकैछ। अपन मत सुनिश्चित करबा लेल आनो स्रोत सबहक मदति लेबाक चाही। 'मैथिली मंडन' पर कयल जा रहल प्रस्तुति त्रुटिहीन होइ, एहि बातक ध्यान राखल जाइत छैक, मुदा प्रामाणिक आ त्रुटिहीन संदर्भक रूपमे मूल किताबेक उपयोग कएल जेबाक चाही। 
एहि किताबसँ कोनो सामग्री केँ प्रस्तुत करैत 'मैथिली मंडन'क एहि सँ सहमत भेनय अनिवार्य नहि  अछि। एकर प्रस्तुति क पाछाँ विशुद्ध रूपें अकादमिक खगता केँ पूरा करबाक भावना अछि। एहि मे अपन व्यावसायिक हित साधब वा किनको व्यावसायिक अहित करबाक कोनो दुर्भावना निहित नहि अछि । एहि प्रस्तुतिक लेल लेखकसँ अनुमति लेल गेल छैक, तथापि कोनो सम्बद्ध पक्षकेँ जँ कोनो तरह तरहक आपत्ति होइन्ह, तँ ओकर निपटारा 'मैथिली मंडन'क प्राथमिकता होयत। 
एतय  'परिचायिका'  सँ गोविन्ददास आ हुनक कृतित्व पर केन्द्रित आलेख अक्षरशः प्रस्तुत कएल जा रहल अछि।


गोविन्ददास
[GOVINDADAS]
[पृष्ठ-13]
गोविन्ददास, विद्यापतिक बाद, आदिकालक सभसँ महत्वपूर्ण कवि छथि ।  विद्यापतिसँ मैथिलीमे श्रृंगार आ भक्तिक धार जे प्रवाहित भेल, ताहिमे यद्यपि अनेको कवि फूह-फाहसँ अपन योगदान देलनि, किन्तु गोविन्ददास रसक अनवरत मूसलाधार वृष्टि क’ ओहि धारमे बाढ़ि आनि देलनि । हिनको ख्याति, विद्यापतिए जकाँ, मिथिलाक सीमाकेँ टपि सम्पूर्ण बंगालमे पसरि गेल ।
          हिनको समय बहुत दिन धरि अनिर्णिते रहल । एखनहुँ एहिपर ऐक्यमत्य नहि भ’ सकल अछि । बंगाली विद्वान बहुत दिन धरि हिनका बंगालक कवि मानैत रहलाह, किन्तु आब सिद्ध भ गेल अछि जे ई मैथिल छलाह । अपन विषयमे ईहो किछु नहि लिखने छथि । पंजीमे एकसँ अधिक गोविन्ददास नाम भेटैत अछि, तेँ ई निश्चय करब कठिन जे एहिमेसँ महाकवि गोविन्ददास के थिकाह । गोविन्ददासक भनितामे नरसिंहसँ ल’ कंसनारायण धरिक नाम भेटैत अछि । ताहिसँ एतबातँ सिद्ध होइत अछि जे इहो राज्याश्रित कवि छलाह । किन्तु हिनक बहुतो गीत एहन अछि जाहिमे कोनो राजाक उल्लेख नहि अछि । एहिसँ ईहो स्पष्ट होइछ जे ई स्वतन्त्रो रूपसँ, बिना राज्याश्रयक, काव्यरचना कयने छलाह ।
हिनक परिचय आ समयक प्रसंग विद्वानलोकनिक मत निम्नलिखित अछि-
कवीश्वर चन्दा झा पंजीक आधार पर हिनक परिचय देने छथि “शुचिकर झा-एपुत्रः शिवदास झा, एपुत्रा गंगादास-गोविन्ददास-हरिदास-रामदासाः । गंगादासस्य पुत्रः चानशर्मा चन्द्रशेखरोपनामा एपुत्रः शोभानाथ शर्मा एपुत्रौ टेकनाथ शर्मा धुरपीशर्मा च । टेकनाथशर्मनो दौहित्रः महाराजलक्ष्मीश्वर सिंह: ।”
प्रो. रमानाथ झा हिनका कुजौलीवार मूलक कात्यायन गोत्रीय श्रोत्रिय ब्राह्मण मानने छथि तथा एहि वंशक उतेढ़ देखबैत एहि वंशक अनेक व्यक्तिक सम्बंध मिथिलाक राजपरिवारसँ सिद्ध कयने छथि ।
डॉ. जयकान्त मिश्र कहैत छथि “He was a contemporary of Maharaja Sundara Thakur (1663/4-1670/1) and belonged to the mother’s family of the late Maharaja Rameshwara Singha Bahadur (1888-1929)” ई चारू भाइ कवि छलाह तथा हिनक अनुज रामदास अपन आनन्दविजय नाटिकामे अपन अग्रज गोविन्ददासकेँ विद्यागुरू स्वीकार कयने छथि । आनन्द विजय महाराज सुन्दर ठाकुरकेँ समर्पित अछि ।
डॉ. शैलेन्द्र मोहन झाक अनुसार गोविन्ददास विद्यापतिक लगले परवर्ती-कालमे भेलाह । एकर पाछाँ हुनक तर्क छनि जे विद्यापति भैरवसिंहक आज्ञासँ दुर्गाभक्ति तरंगिणी लिखलनि । गोविन्ददास सेहो एक गीतक भनितामे भैरवसिंहक उल्लेख कयने छथि । गोविन्ददास विद्यापतिकेँ अपन गुरू रूपमे स्वीकार कयने छथि । अतः दुनू कवि समसामयिके थिकाह ।
[पृष्ठ-14]
डॉ. रामदेव झाक अनुसार कंसनारायणक समकालिक, ‘नलचरित’-रचियता, दिघवय-सन्नहपुर मूलक तथा पंजीमे कवि आ महामहोपाध्याय उपाधिधारी विशिष्ट मन्ति (मन्त्री) गोविन्दे ई गोविन्ददास थिकाह ।
श्री नरेन्द्रनाथ दासक अनुसार गोविन्ददास कायस्थ कुलोद्भव श्रीधरदासक वंशपरम्परामे अबैत छथि ।
प्रो. सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ उचिते  कहलनि अछि जे “गोविन्ददास कोनहु कालखण्डक होथु, कोनहु अभिजन ओ कुल परिवारक होथु, ओ छथि मैथिलीक महाकवि, जनिक स्थान विद्यापतिक परम्पराक कोनहु कविसँ न्यून नहि । ओ अपन शैलीक अनन्य कवि छथि । श्रुतिमाधुर्य, वर्णन विन्यास ओ लीलारसक उपन्यासमे हुनक स्थान मैथिलीअहिमे नहि कोनो उत्तरभारतीय भाषामे अनुपम मानल जायत । हुनक पदमे शब्दशास्त्रीय पाण्डित्य, तार्किकता, अलंकारिता ओ भक्ति-अनुरक्ति सभ तत्व परिलक्षित अछि । ‘रसना-रोचन श्रवण विलास’ उच्चारणमे मुख-सुखद ओ श्रवणमे श्रुति सुखदएहि समन्वित पदसौकुमार्यकेँ अनिवार्य रूपेँ काव्यतत्वमे प्रवएश कयनिहार, ओकरा सफलतासँ प्रदर्शित कयनिहार कोनो आन कवि हठात् दृष्टिगोचर नहि होइत छथि ।’’
गोविन्ददास अपन एक पदमे विद्यापतिक स्मरण करैत लिखने छथि-
कविपति विद्यापति मतिमाने
जाक गीत जग-चीत चोराओल
गोविन्द गौरि सरस रस गाने
तथा-
विद्यापति-पद-कमल सरोरुह निस्पन्दित मकरन्दे
तसु मझु मानस मातल मधुकर पिबइते करु अनुबंधे

एही पाँती सभसं ई प्रमाणित होइत अछि जे ई विद्यापतिसँ विशेष प्रभावित छलाह । ईहो श्रृंगार आ भक्ति दुनू प्रकारक पद, विद्यापतिए जकाँ, रचने छथि । किन्तु दुनूमे मौलिक अन्तर अछि ।  जतय विद्यापतिकेँ मुख्यतः श्रृंगारिक कवि मानल जाइत छनि तत’ गोबिन्ददासकेँ मुख्यतः भक्तकवि । हिनक श्रृंगारिक पद सभमे सेहो कृष्णभक्तिक  छाप अछि । एकर कारण प्रायः ई थिक जे हिनके समयमे  बंगालमे चैतन्यदेव भेल छलाह । चैतन्यदेव जाहि रूपमे श्रीकृष्णक प्रति सर्वस्व समर्पण-भाव प्रकट कयलनि, से छल राधाभाव । अर्थात् अपनाकेँ राधा मानि क’ ओ श्रीकृष्णकेँ अपन प्रेमी मानने छलाह । वस्तुतः एहेन स्थितिमे श्रृंगारक उदय होयब स्वाभाविके । किन्तु एहि श्रृंगारमे समर्पण-भाव छैक, एकर मूलमे भक्तिक भाव छैक । एहि सम्प्रदायसँ प्रभावित गोविन्ददासक पद सभक आवरण तँ अछि श्रृंगारक, किन्तु ओकर आत्मा अछि भक्तिक । यैह कारण थिक जे हिनक पद सभक जे संकलन स्वनामधन्य डॉ. अमरनाथ झा कयलनि, तकर नाम ओ रखलनि ‘श्रृंगार भजनावली’ । एकर तात्पर्य जे गोविन्ददासक पद सभ तँ भजन थिक, अर्थात भक्तिभावमूलक थिक, किन्तु से भक्ति प्रकट भेल अछि श्रृंगारक माध्यमसँ । उक्त ‘श्रृंगार  भजनावली’ जकर संकलयिता आ सम्पादक डॉ. अमरनाथ झा छलाह, सर्वप्रथम प्रो. रमानाथझाक ‘साहित्य-पत्र’मे प्रकाशित भेल । बादमे पुस्तकाकार सेहो बहार भेल ।
 [पृष्ठ-15]

          श्रृंगार-भजनावलीक अतिरिक्त गोविन्ददासक गीतक दू गोट आओर संकलन मुख्य अछि । प्रो. सुरेन्द्र झा ‘सुमन’ द्वारा संपादित ‘गोविन्द गीतांजलि’मे गोविन्ददासक समस्त उपलब्ध पद संकलित कयल गेल अछि, जकर कुल संख्या 340 अछि । सम्पादक हिनक पदकेँ ‘श्री राधाकृष्ण-रसलीला-पदावली’कहलनि अछि । सभ पदक ऊपर रागक नाम तथा शीर्षक देल गेल अछि, जे पदक भावकेँ ध्वनित करैत अछि ।  दोसर संकलन जकर नाम ‘गोविन्ददास-भजनावली’ थिक, मैथिली अकादमी पटना द्वारा प्रकाशित अछि, जकर सम्पादक पं. गोविन्द झा थिकाह । एहिमे कविक 130 पदक अर्थ देल गेल अछि ।
          विद्यापतिसँ हिनकामे एक अंतर ई अछि जे जत’ विद्यापतिक पद प्रसादगुण युक्त अछि, अर्थात् सहज रीतिएँ अर्थ लागि जाइत अछि, तत’ हिनक पद शब्दालंकारसँ ततेक बोझिल भ’ गेल अछि जे अर्थानुसन्धानमे कठिनता उत्तपन्न क’ दैछ । प्रो. रमानाथ झाक शब्दमे “शब्दक एहन विन्यासी कवि मिथिला भाषामे दोसर नहि भेल तथा पदकेँ ललित श्रुति मधुर अर्थानुग्राही एवं समता-संयुक्त बनएबामे यदि शब्दकेँ तोड़हु पड़लन्हि, ओकर स्वरूप विकृतो करए पड़लन्हि तथा अपन हृदयक भाव झाँपलो भए गेलन्हि, तथापि गोविन्ददासक अर्थक प्रसादक हेतु शब्दविन्यास नहि दूरि कएलन्हि ।”
          हिनक पदक दुरूहताक कारणक तहमे जाइत डॉ. दुर्गानाथ झा ‘श्रीश’ कहैत छथि- “हिनक रचनामे जे दुरूहता अछि, तकर प्रधान कारम थिक नैयायिक कविक कठोर परन्तु सूक्ष्म कल्पनाशक्ति । आशयक गाम्भीर्य, ध्वनिक सूक्ष्मता, व्यंगक दूरत्व सेहो प्रायः अधिक ठाम हिनक गीतमे अर्थक दुरूहताक कारण बनि गेल अछि, से सब नैयायिकक सूक्ष्म विवेचनक अभ्यासक परिणाम कहल जा सकैत अछि ।”
          गोविन्ददासक पद जेहने काव्यकलाक दृष्टिएँ उत्कृष्ट, तेहने भाव पक्षक दृष्टिएँ स्वच्छ प्रांजल । हिनक श्रृंगारिक पद, जकरा ब्रजबुलिबला लोकनि रहस्यात्मक भाव बोधयुक्त विशिष्ट भक्ति-पक्षक पद मानैत छथि, राधाकृष्णक विराट् लीला-रूप समक्षमे राखि दैत अछि । प्रेमक कतेको प्रकार मानल गेलैक अछि, यथा-मान, विरह, अभिसार, संवाद आदि, ताहि सभ पक्ष पर प्रचुर सामग्री, सेहो उत्कृष्ट कोटिक, कवि द्वारा लिखल गेल अछि ।
          राधाक अंग-प्रत्यंगकेँ विभिन्न फूलसँ समता देखब’वला कविक कुसुम-वदनाक किछु पाँती द्रष्टव्य थिक-
कानन कुसुम तोड़ल किए गोरी
कुसुमहि सब तन निरमित तोरी
आनन हेम सरोरूह भास
सौरभ श्याम भ्रमर मिलु पास
नयन युगल निल उतपल जोर
सहज सोहाओन श्रवणक ओर
         
हिनक ‘नवधा-भक्ति’ (भक्ति भाव प्रदर्शित करबाक नओ प्रकारक विधि)क –

[पृष्ठ-16]
- प्रसंग एक प्रसिद्ध पद निम्नलिखित अछि-
भजहु रे मन नन्द-नन्दन अभय चरणारबिन्द ।
दुलभ मानुष जनम सत्संग तरह ए भवसिंधु ।।
शीत-आतप-बात-बरषा ए दिन-यामिनी जागि ।
विफल सेवन कृपन दुर्जन चपल सुख सभ लागि ।।
ई धन यौवन पुत्र परिजन एतेक अछि परतीत ।
कमलदल जल जीवन ढलमल भजहु हरिपद नीति ।।
श्रवण कीर्त्तन स्मरण वंदन पादसेवन दास ।
पुजन ध्यान आत्मनिवेदन गोविंददास अभिलाष ।।

विद्यापति आ गोविन्ददासक अन्तर स्पष्ट करबा लेल डॉ. जयकान्त मिश्र दू गोट संस्कृतमहाकविक संग एहि दुनू गोटेक तुलना करैत कहैत छथि- “Vidyapati is like Kalidas-having eminently prasadgun (the quality of pleasing)-and Govinddasa is like Magha-hard to construes.”
हिनक कविताक विशेषता सभकेँ समटैत डॉ. सुकुमार सेन कहने छथि-“He drew largely upon classical lyric poetry for treatment in vernacular. All the simple and complex figures of speech and other devices known in Sanskrit  Rhetoric were utilized by our poet but the greatest achievement…is metrical perfection added tomusical assonance and rhythmic movement.”
गोविन्ददास स्वयं अपन कविताक प्रसंग कहने छथि-
रसना रोचन श्रवण-विलास
रचइ रूचिर पद गोविन्ददास
वास्तवमे गोविन्ददासक पद रूचिर होइत अछि, कारण ओ सुनबामे सुखद ओ स्वादमे मधुर होइछ । से होइतो, हिनक पदक प्रचार मिथिलामे ओतेक नहि भेल, जतेक विद्यापतिक । तकर कारण दू टा । पहिल तँ ई जे विद्यापतिक पद प्रसाद गुणयुक्त छल, सोझ छल, किन्तु हिनक पद क्लिष्ट । तेँ, सर्वसाधारणक जीह पर ओ नहि चढ़ि सकल । दोसर, गोविन्ददास चैतन्यदेवक ‘मधुर रस’क रसी छलाह, जे मिथिलाक हेतु ओतेक आकर्षणक केन्द्र-बिन्दु कहियो नहि रहल । तथापि हिनक साहित्यक महत्वतँ अक्षुण्ण अछिए । प्रो. सुरेन्द्र झा ‘सुमन’क शब्दमे “मैथिलीक साहित्याकाशमे विद्यापति ओ गोविन्द दास सूर्य-चन्द्रमा जकाँ प्रतिभाभास्वर छथि । एकर परिधिजँ सुविस्तृत अछि, प्रभाव-प्रताप जँ प्रखरतर अछि, तँ दोसरक स्वर-ध्वनि सीमित रहितहुँ अशेष अह्लादक अछि, भाव-प्रवाह विशेष प्रकारक स्वादु शीतल अछि । विद्यापतिकेँ गुरू-गौरव प्रदान कयनिहार गोविन्ददासक शिष्यताक महत्ता कम कमनीय नहि । कोनहु अंशमे गुरूक पद-पद्धतिकेँ कोमलतम रूप प्रदान करबामे, प्रकृतिक अनुकरणकेँ कलाक अभिधान दिएबामे, रसश्रृंगारकेँ भाव-भक्तिमे परिणत करबामे, गोविन्द दासक शिष्यत्व विशेषत्व प्राप्त कय लैछ । ‘श्रुतेरिवार्थ स्मृति रन्धगच्छत” एहि कालिदासीय उक्तिक चरितार्थता दुहूक समन्वित अध्ययनसँ सिद्ध होइछ ।
______________


प्रकाशक : भवानी प्रकाशन
, मुसल्लहपुर, पटना-800006
सर्वाधिकार : भीमनाथ झा
परिवर्धित द्वितीय संस्करण : 1985
मुद्रक : मुरलीधर प्रेस, पटना-800006